जम्मू स्टार्टअप इकोसिस्टम
छिटल मोतसँ हार नहि बनैत अछि. ओसब जखन मात्र एकटा सामान्य सुत मे बुनल जाइत अछि, त' ओ लालित्य, शिष्टता आ सुंदरता जोड़ैत अछि. जम्मू आ कश्मिर क्षेत्र के सेहो एहने कथा अछि. हालहि के परिवर्तन के देखैत, स्टार्टअप इंडियाक टिम एहि सम्बन्द मे विचार कएने अछि कि ओत' के उद्यमीसब के की सब सहयोग भेट सकैत अछि. कम्पनी के पञ्जीकृत कर' के निगमन आ लाभ के सम्बन्ध मे ज्ञान सम्बन्धी सहयोग बनाव' के लेल डिजाइन थिंकिङ वर्कसप के सञ्चालनसँ विचार उत्पन्न भेल. सब विचारक सँग कोठलीक चारू दिस उड़ैत, हम पहिला चरण के अनदेखा कएने छलौं.
एमबिऐ के लेल आवेदन क' रहल आदमी अहाँके नीक विचार प्राप्त कर' के अनुमति दैत अछि. आइआइएम पास आउट कएलासँ अहाँ ओहि विचार के नीक जकाँ व्यवस्थापन क' सकैत छी. दिल्ली विश्वविद्यालयक स्नातक आदमीसँ सम्पर्क कर' मे आ काज कर' के लेल बढ़िया होएत अछि. हमसब आइआइटीयन होएबाक मूल्य के एहसास कएलहुँ जखन ओ सुझाव देलनि कि हमरासब के एक बेर वर्तमान इकोसिस्टम के देखबाक चाही.
पता चलल, खाली जम्मूमे 300 चार्टर्ड अकाउंटेंट अछि आ 50 कंपनी सेक्रेटरी अछि. ई राज्य डीपीआईआईटी / स्टार्टअप इंडियाके संगे पंजीकृत सम्पूर्ण क्षेत्रमे 100 प्रौद्योगिकी आधारित स्टार्टअपके लेल घर छी। जम्मू स्टार्टअप समुदाय आ थिंकपॉड्स जेंका स्वैच्छिक संगठन अछि जे एकटा सहकर्मी स्थानक रूपमे सेहो काज करैत अछि. इन्क्यूबेटर सभमे जेकेईडीआई, एसएमवीडीयू आ सीएसआईआर-आईआईआईएम सम्मिलित अछि; आ जेकेईडीआईके दुगो पूर्ण शाखा अछि, एकटा श्रीनगरमे आ एकटा जम्मूमे आ प्रत्येक ऊष्मायन स्थान सS सुसज्जित अछि, लॉन पसरल अछि आ प्रायः <n1 कक्ष अछि (ओहिमे सS किछु नीक अछि). ओतय एकटा एनआईटी अछि जे ओतय पढ़य बला उज्ज्वल छात्र सभके लेल नवाचारके जागृत करबाक क्षमता रखैत अछि. इन्क्युवेसन के समर्थन के लेल बहुतो प्रविधि संस्थानसब तैयार अछि. 50 सँ बेसी स्कूलसब अटल टिन्करिङ लैब के लेल लाइन मे अछि.
हमरासबके एहसास भेल कि यदि हमसब एक-दू घण्टा ई सब पता क' सकैत छी, त' हमरासबके अपन विचार ता धरि बन्द बक्सा मे रखबाक चाही, जा धरि हमसब अपना लेल खोजि नहि लैत छी।. लापरबाह विचारक कारण विचार करबाक योजनाक सम्बन्ध मे सोचल गेल की हमरासब के कोन विषय के सम्बन्धमे विचार करबाक चाही. हमसब इकोसिस्टम के अभिनेतासभक सम्पर्क मे अएलौ। हमसब अपन किछु व्हाट्सएप ग्रुप पर खिसिएलौं. सदैत काल जकाँ, सहयोग आबिरहल छल. हमसब के लगानीकर्ता, इनक्युबेटर आ पेशागत व्यक्तित्व भेटल अछि जे आगु आबि क' इकोसिस्टम के निर्माण मे योगदान देब' चाहैत छल. प्रशासन हमरासभक सहायताक लेल उत्सुक छल आ जेकेटिपिओ आ जेकेइडिआई के काज मे खटेने अछि. अर्न्स्ट आ यङ के साथी जे हमर कार्यालय भ्रमण करबाक लेल आएल छल, प्रस्ताव पर उत्साहित भ' गेल आ एहि आयोजनाक लेल जम्मूसँ बाहर अपन टीम के दू सदस्य के मनोनयन कएलक. आइसिएआई सँग भेल सम्झौता पत्र हमरासब के केन्द्रीय मुख्यालय आ जम्मू अध्यायक अध्यक्षसँ तुरन्त सम्पर्क करबाक अनुमति देलक. संस्थान सुझाव देने अछि कि पेशेवर के सिपिई आवर बढ़ा सकैत अछि आ एते धरि कि ओकरासभ स्थान सेहो प्रस्तुत क' सकैत अछि. आइसिएसआई के अध्यक्ष हरदम जतेक सहज छल आ एहि आयोजना मे योगदान देबाक लेल जम्मूक अध्यक्ष के नियुक्त कएलक.
हम सभ रेडिसन ब्लूके वेन्यूके रूपमे अंतिम रूप देलौंह आ प्रासंगिक लोक सभके आमंत्रित करबाक लेल अपन सहयोगी सभ लग पहुंचनाइ आरंभ केलौंह. इ लिखैत काल, हमरा सभके 150 + लोकक लेल 100 पुष्टिकरण प्राप्त भेटल अछि आ हम एहि मिक्सरके किक-ऑफ करबाक लेल सांस साधिके प्रतीक्षा क' रहल छी.
-हस्ताक्षर-
05-Sep-2019
शब्दावली:
जेकेईडीआई: जम्मू कश्मीर उद्यमिता विकास संस्थान
जेकेटिफिओ: जम्मू कश्मिर ट्रेड प्रोमोसन अर्गनाइजेसन
एसएमभिडियू: श्री माता वैष्णोदेवी विश्वविद्यालय
आइसिएआई: इन्स्टिच्युट अप चार्टर्ड एकाउन्टेन्ट्स अप इन्डिया
सिपिई: निरन्तर व्यावसायिक शिक्षा; सिए/ सीएस के अपन सम्बन्धित संस्थान के सदस्य कायम रहबाक लेल हरेक वर्ष किछु घण्टाक प्रशिक्षण पूरा कर' पड़ैत छैक